शिव मारुती ज्वेलर्स

मोहन महतो कोईरी,पुस १५ गते ।

राइत इजोरिया चमचम करै,चान नुका रहल है ।
सोझा बैसल सजनी हम्मर नजैर झुका रहल है ।

शुभकामना

मदहोस कहु,बेहोस कहु या जे कहु,अहाँक मर्जी
मुस्की मारैत ठोर अप्पन चेहरा छुपा रहल है ।

लागल आइग करेजा के पुछु नै कि-कि करै है ?
अप्पन प्रेमक सागर मे हमरो डुबा रहल है ।

स्नेहक डोर सऽ बन्हैत ओ जतेबे करिब अबैछै ।
जीवनमे नव आसक दीप,डिबिया जरा रहल है ।

कोसोक दुरी खतम भेल है जेना बुझाइय”मोहन”
प्रसन्न भेल ई मोन हमर कि-कि लुटा रहल है ।

२०७९ पुष १५, शुक्रबार ०५:३७

प्रतिक्रिया

सम्बन्धित खवर

ताजा समाचार

लोकप्रिय